निम्नलिखित गद्यांशकेँ ध्यानपूर्वक पढ़ि ओकर आधार पर नीचाँ देल गेल प्रश्नक उत्तर स्पष्ट, सही आ संक्षेपमे लिखू :
दुःखक वर्गमे जे स्थान भयक अछि, वैह स्थान आनन्द-वर्गमे उत्साहक अछि । जाहि कर्ममे कोनो प्रकारक कष्ट वा हानि सहबाक साहस अपेक्षित होइत अछि, ओहि सभक प्रति उत्कण्ठापूर्ण आनन्द उत्साहक अन्तर्गत लेल जाइत अछि । कष्ट वा हानिक भेदक अनुसार उत्साहक भेद भऽ जाइत अछि । साहित्य-मीमांसक एहि दृष्टिसँ युद्धवीर, दानवीर, दयावीर, आदिक भेद कयने छथि । एहिमे सबसँ प्राचीन आ प्रधान युद्ध वीरता अछि, जाहिमे आघात, पीड़ा आ मृत्युक परवाह नहि रहैछ । एहि प्रकारक वीरताक प्रयोजन अत्यन्त प्राचीन कालसँ चल आबि रहल अछि, जाहिमे साहस आ प्रयत्न दुनू चरम उत्कर्ष पर पहुँचैत अछि । मात्र कष्ट वा पीड़ा सहन करबाक साहसमे, उत्साहक स्वरूप स्फुरित नहि होइछ । ओहि संग आनन्दपूर्ण प्रयत्न वा ओकर उत्कण्ठाक योग सेहो चाही । बिना विहोश भेल पैघ गुड़ वा घावकेँ चिरेबाक लेल तैयार होयब साहस कहल जायतु उत्साह नहि । एहि प्रकारेँ चुपचाप, बिना हाथ-पैर हिलेने, घोर प्रहार सहन करबाक लेल तैयार रहब साहस आ कठिन-सँ-कठिन प्रहार सहि कऽ स्थान सँ नहि हटब धीरता कहल जायत । एहन साहस आ धीरताकेँ उत्साहक अन्तर्गत तखने आनि सकैत छी, जखन साहसी वा धीर ओहि काजकेँ आनन्दक संग करैत चल जायत, जाहि कारणेँ ओकर एतेक प्रहार सहन करऽ पड़ैत छै । सारांश ई जे आनन्दपूर्ण प्रयत्न वा ओकर उत्कण्ठामे उत्साहक दर्शन होइत छै, मात्र कष्ट सहबाक निश्चेष्ट साहसमे नहि । धृति आ साहस दुनूक उत्साहक बीच संचरण होइत अछि ।
दानवीरक अर्थ-त्यागक साहस अर्थात् ओकरामे होइबला कष्ट वा कठिनता केँ सहन करबाक क्षमता अन्तर्हित रहैत अछि । दानवीरता तखने कहल जायत, जखन दानक कारण दानीकेँ अपन जीवन-निर्वाहमे कोनो प्रकारक कष्ट वा कठिनाइ देखाइ देत । एहि कष्ट वा कठिनाइक मात्रा वा सम्भावना जतेक बेसी होयत, दानवीरता ओतेक ऊँच बूझल जायत । किंतु, एहि अर्थ-त्यागक साहसक संग जा धरि पूर्ण तत्परता आ आनन्दक चिह्न नहि देखा पड़य, ता धरि उत्साहक स्वरूप नहि ठाढ़ होयत ।
युद्धक अतिरिक्त संसारमे आर एहन विकट काज होइत अछि, जाहिमे घोर शारीरिक कष्ट सहऽ पड़ैत छै आ प्राण-हानि धरिक सम्भावना रहैत छै । अनुसंधानक लेल तुषार-मण्डित दुर्गम पर्वतक चढ़ाइ, ध्रुव देश वा सहाराक रेगिस्तानक यात्रा; क्रूर, बर्बर जातिक बीच अज्ञात घोर जंगलमे प्रवेश, आदि पूरा वीरता आ पराक्रमक कर्म थिक । एहिमे जाहि आनन्दपूर्ण तत्परताक संग लोक प्रवृत्त भेल अछि, ओहो उत्साहे थिक ।
(a) उत्साहमे साहसक भूमिकाकेँ स्पष्ट करू ।
(b) धीरताक अभिप्राय की थिक ?
(c) उत्साहक सही दर्शन कोना होइत अछि ?
(d) आनन्दपूर्ण तत्परता आ उत्साहक अन्तर्संबंधकेँ रेखांकित करू ।
(e) दानीकेँ दानक कारण की सहन करऽ पड़ैत छै ?
60 marks · directive: Comprehension
The core of a good answer
The passage argues that utsah (zeal) is joyful eagerness for an act that demands courage to bear hardship or loss: courage and fortitude alone are not utsah, which appears only when the effort is made with joy and readiness, as in the warrior, the generous giver and the explorer.
An outline written by upsc.help, not an official UPSC answer; every fact checked by a separate review. How we work
What the question asks
Five sub-questions of 12 marks each (12×5=60), to be answered in Maithili from the passage only, clearly, correctly and briefly. Each answer should state the passage's point in your own sentences; a short quoted phrase may support it.
Answer outline
Introduction
Read the whole passage once for its argument (courage plus joy equals utsah), then find the sentences that answer each sub-question.
(a)
- Courage to bear hardship or loss is the base of utsah: "जाहि कर्ममे कोनो प्रकारक कष्ट वा हानि सहबाक साहस अपेक्षित होइत अछि, ओहि सभक प्रति उत्कण्ठापूर्ण आनन्द उत्साहक अन्तर्गत लेल जाइत अछि".
- But courage alone is not utsah: "मात्र कष्ट वा पीड़ा सहन करबाक साहसमे, उत्साहक स्वरूप स्फुरित नहि होइछ"; joyful effort must join it. Example: being ready to have a large boil or wound lanced without being made unconscious "साहस कहल जायतु उत्साह नहि".
- Courage and fortitude both move within utsah: "धृति आ साहस दुनूक उत्साहक बीच संचरण होइत अछि".
(b)
- Fortitude (धीरता) is not moving from one's place even after bearing the hardest blows: "कठिन-सँ-कठिन प्रहार सहि कऽ स्थान सँ नहि हटब धीरता कहल जायत".
- It is distinct from courage, which is readiness to bear severe blows silently without moving hand or foot; fortitude becomes part of utsah only when the person carries on the work with joy: "जखन साहसी वा धीर ओहि काजकेँ आनन्दक संग करैत चल जायत".
(c)
- Utsah is truly seen in joyful effort or eagerness for it, not in passive courage to endure: "आनन्दपूर्ण प्रयत्न वा ओकर उत्कण्ठामे उत्साहक दर्शन होइत छै, मात्र कष्ट सहबाक निश्चेष्ट साहसमे नहि".
(d)
- Joyful readiness is what turns courage into utsah. For the giver: "जा धरि पूर्ण तत्परता आ आनन्दक चिह्न नहि देखा पड़य, ता धरि उत्साहक स्वरूप नहि ठाढ़ होयत".
- For explorers who climb snow-clad peaks, travel to polar lands or the Sahara, or enter unknown forests: "एहिमे जाहि आनन्दपूर्ण तत्परताक संग लोक प्रवृत्त भेल अछि, ओहो उत्साहे थिक".
- So the two cannot be separated: without joyful readiness there is only courage; with it the same act becomes utsah.
(e)
- The giver must bear the hardship or difficulty in his own livelihood that comes from giving away wealth (अर्थ-त्याग): "दानवीरता तखने कहल जायत, जखन दानक कारण दानीकेँ अपन जीवन-निर्वाहमे कोनो प्रकारक कष्ट वा कठिनाइ देखाइ देत".
- The greater the amount or likelihood of this hardship, the higher the generosity is rated: "एहि कष्ट वा कठिनाइक मात्रा वा सम्भावना जतेक बेसी होयत, दानवीरता ओतेक ऊँच बूझल जायत".
Conclusion
Write each answer in complete Maithili sentences of your own, keeping close to the passage's argument; quoting a short phrase is fine, copying whole sentences is not.
Facts to remember
- The passage names kinds of vira (heroism) distinguished by literary theorists: युद्धवीर, दानवीर, दयावीर, and calls युद्ध वीरता the oldest and foremost.
- Key distinctions in the passage: साहस is readiness to bear hardship; धीरता is not moving from one's place under the hardest blows; उत्साह is joyful, eager effort.
- The passage contrasts निश्चेष्ट साहस (passive courage) with आनन्दपूर्ण प्रयत्न (joyful effort).