Pratidin
2026 · Maithili Compulsory Paper (Qualifying) · 60 marksMainsQuestion 3

निम्नलिखित अनुच्छेदक सारांश लगभग एक-तिहाइ शब्दमे लिखू । एकर शीर्षक लिखबाक आवश्यकता नहि अछि । सारांश अपनहि शब्दमे लिखू ।

नीक श्रोता होयब सबसँ महत्त्वपूर्ण आ आकर्षक जीवन कौशलमे सँ एक अछि । तैयो अपनामे सँ बहुत कम लोक सुनब जनैत अछि । एकर ई कारण नहि अछि जे हम अधलाह छी, कारण ई अछि जे कियो हमरा सिखेलक नहि । एहिसँ सम्बन्धित तथ्य इहो अछि जे बहुत कम लोक हमरा ध्यानपूर्वक सुनलक अछि । परिणामस्वरूप हम सामाजिक जीवनमे सुनबाक अपेक्षा बजबाक मोहमे फँसल रहैत छी, दोसर सँ भेंटक व्यग्रता रहैत अछि, मुदा सुनबाक नहि । शनैः शनैः मित्रता सामाजिक स्वार्थमे परिवर्तित हुअ लगैत अछि । एक नीक श्रोता कतेको एहन कार्य करैत अछि, जकरा संग समय बितायब सुखद अनुभूति प्रदान करैत अछि । हमरा लोकनि कोनो एहन गपक संग वार्त्तालाप शुरू करैत छी, जे महत्त्वपूर्ण तँ लगैत अछि, मुदा स्पष्ट नहि होइत अछि । कखनो कऽ हम अपन काजकेँ लऽ कऽ तनावमे रहैत छी, तँ कखनो अपन कार्यक्षेत्रमे महत्त्वाकांक्षी बनबाक लेल सोचैत रहैत छी, हम सुनिश्चित नहि कऽ पबैत छी जे हमरा लेल की उचित अछि, कखनो हमरा ई संदेह होइत अछि जे कोनो सम्बन्ध कठिनताक संग बीति रहल अछि, हम कोनो बात केँ लऽ कऽ चिंतित रहैत छी वा जीवनमे निराशाक अनुभव कऽ रहल होइत छी (जखन कि हमरा ठीक-ठीक बूझल नहि रहैत अछि जे समस्या की अछि) वा हम कोनो प्रयोजन सँ अत्यधिक उत्साहित रूप सँ आ उर्जासँ भरल रहैत छी, किंतु अपन एहि उत्साहक कारण केँ स्पष्ट रूपसँ बूझि नहि पबै छी ।

वस्तुतः ई सभ विषय स्पष्टताक माँग करैत अछि । एक नीक श्रोता ई बुझैत अछि जे आदर्श रूपसँ दोसर सँ गप-सप हमरा एक ओझरायल आ उत्तेजित मनसँ निकालि कऽ एक अधिक केंद्रित आ शांत मनक अवस्था धरि पहुँचा सकैत अछि । संवादक माध्यमसँ हम सब मिल कऽ ई बुझबाक प्रयास कऽ सकैत छी जे वस्तुतः दांव पर की लागल छल, मुदा हरदम एना नहि भऽ पबैत अछि । किएक जे गप-सप मे स्पष्टताक इच्छा आ आवश्यकताक प्रति जागरूकता नहि होइत छै । नीक श्रोताक कमी होइत अछि । परिणामस्वरूप लोक विश्लेषण करबाक फलस्वरूप अपन-अपन बात पर अड़ल रहैत अछि । ओ अपन चिंता, उत्साह, उदासी वा आशा केँ बेर-बेर भिन्न-भिन्न रूपमे दोहराबैत अछि । सामने बला सुनैत अछि, मुदा ओकरा गहींर सँ बुझबामे मदद नहि करैछ । नीक श्रोता गप-सपक सूक्ष्म युक्तिक आश्रय संग स्थितिकेँ बदलैत अछि ।

जखन दोसर व्यक्ति बजैत अछि, तखन ओ ओकरा संग पूरा-पूरी जुड़ि जाइत अछि । ओ छोट-छोट प्रोत्साहन दैत अछि, जेना – सहानुभूतिपूर्वक आह, उत्साहवर्धक संकेत वा रुचिपूर्ण रणनीतिक जिज्ञासा, एहि तरहें ओ सामने बलाकेँ अपन विचार आ भावनाक तलमे जयबाक लेल प्रेरित करैत अछि । ओ ई कहब पसन्द करैत अछि – ‘‘हमरा एकर विषयमे और कहू ...’’, ‘‘जखन अहाँ एहन कहलहुँ, तखन हम मंत्रमुग्ध भऽ गेलहुँ’’, ‘‘अहाँ केँ की लगैत अछि, एना किएक भेल ?’’ वा ‘‘अहाँ केँ तखन केहन अनुभव भेल ?’’ एक नीक श्रोता ई मानि कऽ चलैत अछि जे दोसर सँ गप-सपमे अस्पष्टता स्वाभाविक अछि । ओ नहि तँ आलोचना करैत अछि आ नहि अधीर होइत अछि । ओ ई बुझैत अछि जे अस्पष्टता एक सार्वभौमिक आ महत्त्वपूर्ण मनक जटिलता अछि, जकरा फरिछेबाक दायित्व एक सुच्चा मित्रक अछि । जखन की हम कोनो अनुभवक सानिध्यमे मरराइत रहैत छी, किंतु ओकर मूल कारण धरि नहि पहुँचि पबै छी । एहन मे एक नीक श्रोता हमरा विस्तार सँ बजबाक, गहींर धरि जयबाक आ अग्रसर होयबाक लेल प्रेरित करैत अछि । हमरा एहन व्यक्तिक आवश्यकता होइत अछि जे उचित राय देबाक बदला मात्र दू सोझ, मुदा चमत्कारिक शब्द बाजय – ‘बढ़ैत चलू’ । हम भाय-बहिनक उल्लेख करैत छी आ ओ अतिरिक्त जिज्ञासा रखैत अछि; यथा – हुनका नेनपनमे सम्बन्ध केहन छल ? समयक संग हुनकामे की परिवर्त्तन भेलनि, ओ ई बुझबाक प्रयास करैत अछि, जे हमर चिंता आ उत्साहक मूल कतऽ अछि ? ओ पुछैत अछि – ‘‘ओ बात अहाँ केँ एते परेशान किएक कऽ रहल अछि?’’ वा ‘‘ओ बात अहाँक लेल एतेक महत्त्वपूर्ण किएक छल?’’ संगहि, ओ हमर पहिलुका बात केँ सेहो मोन रखैत अछि । कखनो-कखनो ओ हमर कहल कोनो पुरान बात केँ संदर्भ दैत अछि आ हमरा अनुभव होइत अछि जे ओ वास्तवमे हमरा संग गहींर सँ जुड़बाक प्रयास कऽ रहल अछि । अस्पष्ट बात करब घातक रूपसँ आसान होइत अछि । हम हरदम ई कहैत छी जे कोनो वस्तु सुन्दर अछि, वा भयानक, सुखद अछि वा परेशान करऽ बला, मुदा हम ई बुझबाक प्रयास नहि करैत छी जे हमरा एना किएक अनुभव होइत अछि । एक नीक श्रोता हमर एहि आधारभूत बात पर रचनात्मक एवं मैत्रीपूर्ण संशय करैत अछि आ एहि गहींर भावनाकेँ बुझबाक प्रयास करैत अछि, जे हमरा भीतर नुकायल रहैत अछि ।

(698 शब्द)

60 marks · directive: Precis

Answer

The core of a good answer

The passage says that good listening is a rare but vital life skill: a good listener engages fully, accepts that people speak vaguely, and through gentle encouragement, questions and memory of earlier talk helps them move from confused feelings to clear understanding.

An outline written by upsc.help, not an official UPSC answer; every fact checked by a separate review. How we work

What the question asks

The passage is printed as 698 words, so the summary should be about one-third of that, roughly 233 words, in Maithili. No title is needed and the summary must be in your own words. Method: read twice, list the main ideas in order, drop the quoted examples of what a listener says, then write one connected paragraph and check the length.

Answer outline

Introduction

The main ideas of the passage, in order (for planning only; write the summary itself in Maithili, in your own words):

Idea 1: a rare skill

Idea 2: what goes wrong

Idea 3: the need for clarity

Idea 4: how a good listener helps

Idea 5: the core point

Conclusion

Check that the summary keeps the author's argument and order, leaves out the quoted examples and repetition, and adds no opinion that is not in the passage.

Facts

Facts to remember

Write a timed answer in the app