Pratidin
2026 · Maithili Compulsory Paper (Qualifying) · 20 marksMainsQuestion 4

निम्नलिखित गद्यांशकेँ अंगरेजीमे अनुवाद करू :

भारतीय नाविक जहाज चलेबाक अपन कौशलक लेल प्राचीने काल सँ प्रसिद्ध रहल अछि । एखन सँ 5000 वर्ष पूर्व ओ लोकनि समुद्रमे नाव चलायब आरंभ कयने छल । ओहि समयमे समुद्री यात्रामे काज आबऽ बला किछु गनल-गुथल यंत्र होइत छल । आजुक समयक परिष्कृत उपकरण सन ताहि दिन उपलब्ध नहि छल । मुदा, प्राचीन नाविकक ज्ञानेन्द्री सम्भवतः बेसी तीक्षण होइत छल । हुनकामे मौसमक पूर्वानुमानक ज्ञान बढ़ियाँ छल । ओ ग्रह-नक्षत्रक परीक्षण कऽ सकैत छलाह, हवाक सूझ-बूझ हुनकामे छलनि आ समुद्रक पानिक रंगसँ गहराइ कहि सकैत छलाह । समुद्री जीव-जंतु केँ देखिकऽ ओ जमीन सँ दूरी आ कतेको बेर तँ देश धरिक पता लगा लैत छलाह । ओहि जमानामे कोनो समुद्री अकादमी नहि छल । तेँ जे कोनो प्रशिक्षण हुनका भेटैत छलनि, ओ अनुभवक पाठशालामे परीक्षण आ गलती सँ सिखबा पर आधारित होइत छल । कखनो-कखनो दुर्घटना सेहो भऽ जाइत छल, मुदा हुनक साहस आ आत्मविश्वास हुनका समुद्री यात्राक प्रेरणा दैत रहैत छल । एहीक बल पर ओ पश्चिममे फारसक खाड़ी, अफ्रीकाक पूर्वी तट आ पूर्व तथा सुदूर पूर्व इंडोनेशिया, कम्बोडिया, अन्नाम, बोर्नियो तथा सेलीबीज सन दूर-दराज द्वीप धरि पहुँचऽ मे सफलता प्राप्त कयलनि । समुद्री प्रशिक्षणक आधुनिक काल 1920 क दशकक प्रारंभिक वर्षमे शुरू भेल ।

आजादीक बाद भारतमे परिवर्त्तनक सुखद बयार बहि रहल अछि । भारतक गौरवशाली जहाजरानी परंपराक जे सूर्य किछु शताब्दी पूर्व अस्त भऽ गेल छल, से एक बेर फेर उदय भऽ कऽ चमकऽ लागल अछि । भारतीय जहाजरानी आइ सही दिशामे अग्रसर अछि ।

20 marks · directive: Translation

Answer

The core of a good answer

The passage describes how ancient Indian sailors, with few instruments, navigated by the stars, winds, sea colour and marine life, reached lands from the Persian Gulf and East Africa to South East Asia, and how India's shipping tradition is reviving after Independence.

An outline written by upsc.help, not an official UPSC answer; every fact checked by a separate review. How we work

What the question asks

Translate faithfully into plain, grammatical English, keeping the meaning and order of ideas; do not summarise or add. Watch the tenses (habitual past for what the sailors could do, present perfect for the revival), the place names, and the figurative phrases (अनुभवक पाठशाला, परिवर्त्तनक सुखद बयार, the setting and rising sun of the shipping tradition). Maithili honorific verb forms (छलाह, छलनि, कयलनि) are simply 'they' in English.

Answer outline

Introduction

Read the whole passage first, then translate sentence by sentence; a faithful rendering is given below.

Sentence 1

Sentence 2

Sentence 3

Sentence 4

Sentence 5

Sentence 6

Sentence 7

Sentence 8

Sentence 9

Sentence 10

Sentence 11

Sentence 12

Sentence 13

Sentence 14

Sentence 15

Sentence 16

Conclusion

Read the English version through once for flow, keeping 5000 years and the 1920s exactly as printed.

Facts

Facts to remember

Write a timed answer in the app